निजगढ , साओन १० । बाराके निजगढ होइत बहेवाला बकैया नदीके तुटलाके कारण निजगढ बजारसहित नगरपालकिाके कतेक बस्तीसब जोखिममे परल है । लगातार पानी आ दाहरके कारण नदिके जलस्तर बढैइत गेलापर बजार ओरके अधिकाशं भाग तोररहल है । बजारओर तोरल रोकेके लेल बनावल करिब १५ मिटर लामा बाँध सहित दाहर दहाके लेगेल है । बजारक्षेत्रसे करिब २ किलोमिटर उपर नगरपालिकाके वडा नम्बर ४ स्थित खिवा कहेवाला जगहसे तोरेके सुरु कएले मेयर सुरेश कुमार खनाल जाकारि देले छत । नदिके पश्चिमओरसे कुछ उचाइ रहलाप पानीके कारण बहाव बढइत बस्तीओर तोरले मेयर खनाल बतएलन । तत्काल पानी परनाइ रुकल समस्या नरहल लेकिन फेनसे दाहर आएल नगरपालिकाके वडा नम्बर चार,आठ आ नौ करके तिनगो वाड पूर्ण रुपमे प्रभाबित भेल हुन बतएलन । तत्कालमे अभि कौनो सम्सया नहै लेकिन फेनसे पानि परेलगला पर बजार क्षेत्र सहितके सयौँ घरमे पानी पइस जासकइत है । बस्ती ओरके बाँधतोरलाके कारण डुवानके खतरा बढलापर नगरपालिकाके फेनसे नदिके बहाव पस्चिमओर फिराबेके प्रयास कएल जारहल है । एसे पहिले बस्ती बचावेके लेल निर्माण कएल करिब १० मिटर चौडाई आ १५ मिटर लम्बाई बराबरके बाध नदी बहएले हाल उहे स्थानसे करिब दुई किलोमिटर उपरसे नदिके बहावके वातावरण मैत्री रुपमे पश्चिमओर घुमावेके प्रयास होरहल नगरप्रमुख खजाल बतएलन । पनी बस्ती घुसलापर बहुत बाडा क्षतीके सामना करेके परि खनाल बतएलन । ओकरा राकेके लेल तिनगो जेसिबीसहित अहोरात्र बाँध निमार्णकलेले लेजारहल छि ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments