काठमाडौ,साओन १० । कञ्चनपुरके भीमदत्त नगरपालिका–२,उल्टाखामकी १३ बर्षीय बालिका निर्मला पन्तके हत्या भेल एक वर्ष पुरा भेल है । २०७५ साओन १० गते बलात्कारबाद निर्मलाके हत्या भेल रहे । यीहे बिचमे सात अनुसन्धान टोली गठन कएल गेल रहे,८० जनाके डिएनए परीक्षण,पाँच सयसे जादा गोरासे सोधपुछ आ १० हजारसे जादा गोराके कल डिटेल अध्यन कएलाके बाद भि सब प्रयास असफल भेल । म्ांगलबारके दिन गृहमन्त्री रामबहादुर थापा बादलभि निर्मला प्रकरणमे सरकार असफल रहल स्वीकार समेत करचुकल छत । लेकिन निर्मलाके न्यायके लेल आन्दोलन अभि भि जारी हि है । नेपाल विद्यार्थी संघ(नेविसंघ) भि निर्मलाके लेल न्याय मांगइत शुक्रबारके दिन राजधानिमे प्रदर्शन कएले है । एक वर्ष बितला पर भि सरकार दोषी पत्ता लगावे नसकल कहइत नेविसंघ शुक्रबार राजधानिके माइतीघर मण्डलमे प्रदर्शन कएले है । निर्मलाके न्याय कब मिल् िसरकार लिखल प्ले कार्ड राखले प्रदर्शनकारीसब निर्मलाके हत्यारा पत्ता लगावे नसकल कहइत गृहमन्त्री रामबहादुर थापा विरुद्ध नाराबाजी कएले है । निर्मलाके हत्यारा पत्ता लगावमे असमक्षम रहल गृहमन्त्रीके नैतिकताके अधारमे राजिनामा देवेके परि माग हुनलोगके रहल है । निर्मला हत्याके एक वर्ष पुगलापर भि घटनामे संलग्न दोषी पत्ता लगावे नसकल सरकारके भि आलोचना होइत आरहल है । संघके पूर्व केन्द्रीय सदस्य रघु कार्कीके संयोजनमे भेल प्रदर्शनमे संघके पूर्व उपाध्यक्ष निलकण्ठ रिजाल,सागर परियार,नेतासब जयराम लामिछाने,लक्ष्मढा पन्थी ,पुनम भट्ट,एलिजा ढकाल,सुप्रिया जोशी,पुनम लामा,केबिन कट्टेल,राजु सुनार,दिनेश भुर्तेलसहित नेता कार्यकर्ता सहभागि रहे ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments