चितवन , साओन २१ । पत्रकार सालिकराम पुडासैनी मरल अवस्थामे भेटल हए । चितवनके पोखरा जाएवाला बसपार्कस्थित कंगाारु हेटलमे लटकल अवस्थामे मरल भेटल एसपी दान बहादुर मल्ल जानकारी देले छत । एसपी मल्लके अनुसार सोमबारके दिन दोपहर ३ बजे काठमाडौसे अएल पुडासैनी ऊ होटलके २०२ नं.घरमे रुकल रएलन । सामके होटलके कर्मचारी खाना खाएला बोलावे गेलापर होटलके केवारी भित्रसे बन्द रहल आ हुनका बाेलएला पर नबोललाके बाद रातके १० बजे पुलिसके जानकारी करएले रहे । पुलिसके रोहबरमे केवारी खोलला पर पत्रकार पुडासैनी घरके पंखामे लटकल अवसथामे भेटल एसपी मल्ल जानकारी देलन । एसपी मल्लके अनुसार हुनका साथमे माउन्टेन टेलिभिजनके परिचय पत्र भेटल हए । नुवाकोटके बेलकोटगढी नगरपालिका वडा नं. २ घर भेल पुडासैनी कुछ समय पहिले माउन्टेन टेभिमे प्रवेश कएले रहलन । हुन मिसन न्युज कार्यक्रम चलावइत रएलन । एसे पहिले न्युज–२४ के सिधा कुरा जनतासे कार्यक्रममे काम करइत रएलन । घटना बारे थप अनुसन्धान होरहल चितवन प्रहरी जनएले हए ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments