एजेन्सी , भादो १ । अफगानिस्तानके राजधानी काबुल शहरके शिया बहुल क्षेत्रमे कालुह भेल एक आत्मघाती बम हमलामे दर्जनोसे जादा आदमीके मृत्यु भेल आशंका कएल गेल हए । उहवाके सञ्चार माध्यमके अनुसार घटना रिसेप्सन हलमे भेल आ आत्मघाती हमला करेवाला व्यक्ति बमके साथे उडल देखेवाला सब बतएले हए । अफगनिस्तानके गृहमन्त्रालय भि घटनामे दर्जनोसे जादाके मृत्यु भेल जनएले हए । अफगनिसतानमे अइसन अइसन हमला बेरबेर हाइत आरहल हए । एसे पहिले ऐगो पुलिस चौकीके निशाना करके भेल ट्रक बम हमलामे १४ जनाके मृत्यु भेल रहे त १५० सेजादा घायल भेल रहे । ओकर जिम्मा तालिबान लेले रहे । तालिबान आ अमेरिका अफगनिस्तानमे युद्ध समाप्त करेके लेल जवन समयमे सब जुटल रहे ऊ समयमे अइसन घटना बाहर हाएल रहे । एजेन्सीके अनुसार तालिबान आ अमेरिका शान्ति सम्झौताके त्यारीमे रहल हए ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments