प्रदीप सम्राट ,भादो ०३ गते , सर्लाही – सर्लाहीमे तेज हथियार प्रयोग करके एक लड़कीके हत्या भेल हए । बितल रात इश्वरपुर् नगरपालिकामे अज्ञात व्यक्तिके तेज हथियार प्रहारसे लड़कीके हत्या भेल अबश्थामे लास फेला परल हए । लड़कीके नाम ठेगाना नखुलल प्रहरी स्रोत जानकारी देले हए । वार्ड नम्बर १३ श्रीनगर स्थित जंगलके रेल्वेसे सागरनाथ जाएबाला भित्री सडक खण्डमे अन्दाजी २० बरिसके लड़कीके घेट रेटके हत्या करके फेकल अवस्थामे लास फेला परल प्रहरी स्रोत जनएले हए । घटनाके थप अनुसन्धान होरल आ अनुसन्धानबाद मात्र घटनाबारे कुछ कह सकेके इलाका प्रहरी कार्यालय केशरगंजके प्रहरी निरीक्षक जय कृष्ण प्रसाद कुर्मी बतौले त। लास के पोस्टमार्टमके लेल मलंगवा अस्पतालमे राखल गेल सर्लाही प्रहरी जानकारी देले हए ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments