महोत्तरी , भादो १० । महोतरीके भंगहामे डाइनके आरोपमे एगो महिलाके मलमूत्र खिआवेवाला दुईगो महिलाके जेल भेल हए । बितल साओन ३२ गते भंगहा नगरपालिका ४ रामनगर बिर्ताके ३८ वर्षके चन्दनदेवीके डाइनके आरोपमे पेशाब खिअवलाके आरोपमे स्थानीय जागेश्वरीदेवी दनुवार आ ईन्दुदेवी दनुवारके महोत्तरी जिल्ला अदालतके आदेशमे सोमारके दिन पूर्वपक्षके लेल जेल भेल हए । जिल्ला अदालत महोत्तरीके प्रमुख तथा न्यायधीश विष्णु सुवेदी पुर्पक्षके लेल थानामे राखेके लेल आदेश देले स्रेस्तेदार मनोज श्रीवास्त बतएले छत । हुनका अदालतके आदेश मिलते मातर दुनु आरोपीके जेलश्वर जेलमे पठावल गेल जानकारी देले हए । खेतमेसे घाँस लेके घर जारहल चन्दनदेवीके बितल साओन ३२ गते साझके स्थानीय चार जना रास्तामे घेरके के डाइनके आरेपमे पेशाब खिअएले रहे । घटल घटनाके लगलिए २ जना पक्रउ परल रहे त अभि भि २ जना भागले हए । ऊ लोगके खोजी काम होरल पुलिस जनएले हए ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments