जनकपुर , भादो १३ । आजु विश्व बेपत्ता दविसके अवसरमे हर समयमे राज्य पक्षआ तत्कालीन विद्रोही नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (माओवादी) द्धारा बनाएल गेल परिवारसब आजु धनुषाके प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रदीप कर्णल मार्फत प्रधानमन्त्री केपी शर्मा आलीके ज्ञापन पत्र बुझएले हए । धनुषमे मानवधिकारके क्षेत्रमे काम करइत आएल संस्थासब एडवोकेसी फोरम , थर्ड अलाइंस, इन्सेक आ ओरेक नेपालके संयुक्तके पहलमे आजु शुक्रके दिन बेपत्ता परिवारसब अपन बेपत्ता भेल परिवारके राज्यसे कहले हए कि सांस दिउ न त लाश दिउ कहइत आजु ज्ञापन पत्र बुझएले हए । नेपालमे सरकार आ तत्कालीन विद्रोह माओबादी के २०५२ सालसे लेके २०६३ तक सस्त्र द्वन्दके समयमे १७ हजार नेपाली जान गमएले ततकालीन शान्ति तथा पूननिर्माण मंत्रालयके तथ्यांकके उधृत करइत ज्ञापन पत्रमे उल्लेख हए । ओमे हजारो आदमीसब अभि बेपत्ता भेल उल्लेख कएल हए । प्रदेश २ के जिल्ला अन्र्तगत सिरहामे ३७ जना, सप्तरीमे २८ जना, पर्सामे २३ जना , रौतहटमे २० , जना , सर्लाहीमे १७ जना , बारामे १२ जना , धनुषमे ११ जना (हालमे ६ जना ) , आ महोत्तरीमे ११ जना आदमीसब तथ्यांकमे उल्लेख कएल ज्ञापन पत्रमे लिखाएल हए । शस्त्र द्वन्दके समयमे महिलासब भोगले यौनिक हिंसा , बलात्कार आ यातनाके घटनासब अभि भि तथ्याांकमे आबे नसकल ज्ञापन पत्रमे उल्लेख हए । बुझावल गेल ज्ञापन पत्रमे राज्य जबतक द्वन्द पडितके आवाज नसुनि, दिर्घकालीन चाहनाके सम्बोधन नकरि तबतक मुलुकमे दिगो शान्ति स्थापनामे चुनौती होएवाला लगायतके १० बुँदा समावेश कएल गेल हए । ज्ञापनमे सब द्वन्द पीडितके ओरसे अन्जु दत्त , उमा दत्त , राम औतार साह , बौएरामा यादव , नरेश लाभ आ रामानन्द यादवके हस्ताक्षर रहल हए ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments