रौतहट ।। रौतहटमे कोरोना स.क्रमितके संख्या दिनप्रतिदिन बढते जारहल हए ।भारत गेल नेपाली सब अपन देशमे अवइत गेला पर संक्रमितके संख्या बढइत जारहल हए । रौतहटमो आजु सोमारके मात्रे ९८ जनामे कोराना संक्रमण पुष्टि भेल हए । एकरा साथे रौतहटमे जम्मा कोरोना संक्रिमतके संख्या ८ सय ६९ पुगल हए । जिल्लाके इश्नाथ नगरपालिकामे ३३ जना,राजपुर ८,फतुवा विजयपुर १ , राजदेवी ९ आ यमुनामाई गाँउपलिकामे ४७ जनामे कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल प्रमुख जिल्ला अधिकारी वासुदेव घिमिरे जानकारि देले छत । काठमाडूके टेकु अस्पतालमे कउल गेल परिक्षणम उ लोगके कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल हए । संक्रमित भेल सब भारतके विभिन्न सहरसे कुछ दिन पहिले अपन जिल्ला रौतहट आउल रहे । संक्रमित सब गोरा सम्बन्धित नगरपलिकाके क्वारेन्टिनमे रहल हए ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments