सुर्खेत ।। कर्णाली प्रदेश अस्पतालमे कार्यरत पाँच जना स्वास्थ्यकर्मीमे कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल हए । सोमारके दिन कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल अस्पतालके निर्देशक डा.डम्बर खड्का जानकारी देले छत ।
प्रदेश अस्पतालके आकस्मिक कक्षमे उपचार करा रहल तीनगो बेमारी वालाके कोरोना पोजेटिभ अएला के बाद उ लोगके नजिकमे रहके काम कर रहल ४२ गो स्वास्थ्यकर्मीके स्वाव परीक्षण भेल रहे ।
जौनामे पाँच जनामे कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल प्रदेश अस्पतालके निर्देशक खड्का जानकारी देले छत ।
पिसिआर परीक्षणके क्रममे ४२ गोरामे से पाँच जनामे कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल हए । कोरोना पोजेटिभ भेल स्वास्थ्यकर्मीसबके प्रदेश अस्पतालके आइसोलेशन कक्षमे इलाज होइत हए ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments