काठमाडूं ।। कारोना भाइरस संक्रमणके कारणसे बिगत ६ महिनासे बन्द नेपाल–चीन रसुवागढी नाका सञ्चालनमे आएल हए । चिनके ओरसे मितेरी पुलमे सामान लेअएलाके बाद औपचारिक रुपमे नाका सञ्चालनमे आएल रसुवागढी भन्सार कार्यालय जनएले हए । काहलसे चिनके ओरसे सामान आएल आ नेपालमे प्रवेश करावेके लेल सुरक्षाके उपायके साथमे काम सुरु भेल भन्सारके प्रमुख पुयण्विक्रम खड्का जानकारी देले छत । दुनु देश बीच व्यापार सुरु करेके लेल सुरक्षा मापदण्डमे समझदारी होलाके बाद नाका खोलेके बात भेल रहे । बन्दी के ६ महिना ८ दिन भेलाके बाद एकतर्फी व्यापार सुरु भेल हए ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments