एजेन्सी ।। भारतमे आजुसे १५ से १८ वर्ष पुगल बालबालिकाके कोरोनाविरुद्धके खोप लगावल जाइत हए । भारत सरकार कोरोना महामारीके तिसरका चरणके लहरके कारण उच्च जोखिममे बालबालिका रहलाके कारण आजुसे १५ से १८ वर्ष पुगल बालबालिकाके कोरोन विरुद्धके खोप लगावल जाइत हए । भारत सरकार बालबलिकाके लेल भारत बायोटेक कम्पनी बनएले कोभ्याक्सिन खोपके मान्यता देले है । भारत बायोटेक बालबालिकामे कोभ्याक्सिन बुहत प्रभावकारी देखल आ विभिन्न चरणके परीक्षणके बाद सरकार प्रयोग करेके लेल अनुमति मिलल हए । भारत सरकार खोप लगावेसे पहिले बालबालिकाके भाइटल टेस्ट करे वाला भेल हए । बालबालिकाके उचाइँ आ स्वास्थ्य अवस्था देखके खोप लगावल जाइ भारत सरकार जनएले हए । भारतमे वितल समयमे कोरोना सङ्क्रमणके दर बढइत जारहल हए । कोरोना महामारीके तिसर चरणके लहरके संकेत देखलाके बाद बालबालिकाके ध्यानमे रखके यी खोप अभियान सुरु भेल हए । भारतमे बितल २४ घण्टामे ३२ हजारसे जादा लोगमे कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल हए । भारतके विभिन्न राज्यमे कोरोनाके नयाँ भेरियन्ट ओमिक्रोन समुदाय स्तरमे सङ्क्रमण फैललाके बाद जोखिम बढल हए ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments