राैतहट, भादाे २७ । मध्यरौतहटके अधिकांश नगरपालिकाके उम्मेदवारलोग अत्यन्त व्यस्त देखलगेल हए । निर्वाचन अब बहुत लगमे अएलाके कारण लोग पूरे व्यस्त देखलगेल हए । सम्पूर्ण दलके उमेदवार दिनरात मतदाताके अपना पक्षमे तानेला हर प्रयास कररहल देखलगेल हए । गरुडा नगरपालिकाके लेल मेयर पदके नेपाली काँग्रेससे उम्मेदवार सुनील यादव, उपमेयरके उमेदवार रंगीला देवी जयसवाल नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघके पूर्व सदस्य धर्मनाथ प्रसाद जयसवालके साथे पार्टीके सम्पूर्ण टिम जिंगडिया आ विर्तामे मतदातासे भेटघाट करइत अपना पक्षमे भोट देबेला आग्रह कएले छत । माधव नारायण नगरपािलकामे मेयर पदके नेपाली काँग्रेससे उमेदवार शंकर यादव फुलबरिया आ लौकाहामे अपन प्रचार अभियान केन्द्रित करइत मतदातासे अपना पक्षमे भोट देबेला आग्रह कएले छत । गरुडा नगरपालिकाके मेयर पदके लेल संघीय समाजवादी फोरम नेपालसे उमेदवार इन्दु यादव महम्मदपुर आ भीमडाबरके मतदातासे भेटघाट कएले छत । अइसही नेकपा माओवादी केन्द्रसे मेयर पदके उमेदवार विपिन जयसवाल पिपरिया, भीमडाबर आ पोठियाहीके मतदातासे भेटघाट करइत अपना पक्षमे मतदान करेला आग्रह कएले छत । माधव नारायण नगरपालिकाके लेल संघीय समाजवादी फोरम नेपालसे मेयर पदके उमेदवार वीरेन्द्र यादव मानपुर आ विशुनपूर्वामे अपना टिमके साथ पुगके भोट मगले छत । कटहरिया नगरपालिकाके लेल नेकपा माओवादी केन्द्रसे मेयर पदके उमेदवार सियाराम कुशवाहा फिरोज हथियाही, बहादुरपुर आ कटहरियाके मतदातासे अपना पक्षमे मतदान करेला आग्रह कएले छत । अइसही फोरमसे मेयरके उमेदवार जवाहार यादव कटहरियाा बगही आ बलुवाके मतदातासे भेटघाट करइत अपना पक्षमे भोट देबेला आग्रह कएले छत । फतुवा विजयपुर नगरपालिकाके लेल नेकपा माओवादी केन्द्रसे मेयर पदके उमेदवार सुरेन्द्र यादव सन्तपुर, बैरगनिया आ शीतलपुरके मतदातासे अपना पक्षमे भोट देबेला आग्रह करइत भेटघाट कएले छत । फतुवा विजयपुरके ही मेयर पदके लेल फोरम उमेदवार अजय यादव भैसही आ मेवाके मतदातासे भेटघाट करइत अपना पक्षमे मतदान करेला आग्रह कएले छत ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here