कठमाडौ , साअाेन ६ । आईसीसी टी–२० विश्वकपके एसियाली छनोट प्रतियोगिताके पहिल खेलमे आयोजक सिंगापुर विजय भेल है । सिंगापुर कतारके ३३ रनसे पराजित करइत सफल सुरुवात कएले हैए । टस जितके ब्याटिङ करके सिंगापुर २० ओभरमे सात विकेट नोक्सान करइत १८६ रन बनएले रहे । सिंगापुरके लेल सुरेन्द्रन चन्द्रमोहन हि सबसे जादा ४७ रनके योगदान देलन ।अइसहि डेविड ३८,मनप्रित सिंह ३४ आ रोहन रंगराजन ३२ रन जोरलन । बलिङओर कतारके इकबाल हुसेन ४ विकेट लेलक त ओइसहि नोउमन सरवारभी २ विकेट लेलन । १८७ रनके लक्ष्य पिछा करइत कतार २० ओभरमे नौ विकेट नोक्सान करइत १५३ रनमे समिटा गेल । कतारके कप्तान तुमर सज्जदाभि ३४ आ मोहम्मद रिजलानभि ३३ रन बनएलन । आइसहि फैसल जावेदभि २९ रन आ मुहम्मद तनबीरभी २६ रनके योगदान देलक । कतारके हरावेके लेल सिंगापुरके जनक प्रकाश आ अम्जद महबुबभि ३÷३ विकेट बटलन । प्रतियोगिता अन्तर्गत मंगलके दिन नेपालसे कतार के प्रतिस्र्पधा होइ ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here