प्रदेश २ का मुख्य मन्त्री लालबाबु राउत, गाैर नगरपालिकाका नगर प्रमुख अजय गुप्ता , राैतहट प्रमुख जिल्ला अधिकारी किरण थापा लगायतले बाढी प्रभावित राजदेवी नगरपालिकामा अनुगमनकाे क्रममा .....


रौतहट, साओन ०२ ।
हरेक वरिष आरहल प्राकृतिक प्रकोपके स्थायी रुपमे समाधान नकएल तक प्रदेशके समस्या समाधान नहोएके, प्रदेश २ सरकारके मुख्य मन्त्री महमद लालबाबू राउत गद्दी बतएले छत ।
रौतहटके सदरमुकाम गौर स्थित जिल्ला प्रसाशन कार्यालयमा आयोजित दाहर पीड़ितके राहत वितरण कार्यक्रममे सम्वोधन करईत मुख्यमंत्री राउत, ठन्डाके समयमे, बर्षाके समयमे होएवाला भौतिक तथा मानवीय क्षतिके स्थायी समाधान करनाई जरुरी रहल जिकिर कएलन । हुन, लालबकैया आ बागमती नदीके तटबंध भेलासे संघीय सरकारके विशेष ध्यान देवेके जरुरी रहल बताएलन ।
प्राकृतिक प्रकोप नियन्त्रणके लेल अभिके अवस्थामे तीन तहके सरकारके समन्वय आ सहकार्य महत्वपूर्ण रहल बतवईत मुख्य मन्त्री राउत, गुरु योजना बनाके समाधानके रास्ता चुन्नेके पर उपाय निकालईत स्थायी समाधान ओर ध्यानाकर्षण करेक बताएलन । वर्षा समयमे दाहरके खतरामे रहल बान्धके कईसे बनावेके ओसम्बन्धमे प्रधानमंत्रीमे जानकारी समेत करएले बतएलन ।
प्रदेश सरकार दाहरके समस्या प्रति गंभीर रहल बतावईत दाहर आएलके दिन ही आकस्मिक बैठक बोलाके राहत आ उद्दारमे खटेके निर्देशन जारी कएले ठोकूवा कएलन । सवेरे ८ बजे बैठल बैठकसे मृतक परिवारके तीन तीन लाख देवेके घोषणा कएले जनवईत तत्काल १० लाख रुपैया राहत वितरण करेला प्रमुख जिल्ला अधिकारीके नेतृत्व रकम पठएले बतएलन ।
मुख्यमंत्री राउत कोनो किसिमके कमी होएन देवेला प्रदेश सरकार मन्त्रीसवके १ महीनाके तलाव राहत वितरणमे खर्च करेके निर्णय कएले बताएलन । विभिन्न निकायसे समन्वय करके आगे बढेला अनुरोध करईत राउत दाहर प्रभावितके सहयोग करेला राष्ट्रिय तथा अंतर्राष्ट्रीय संघ सस्थाके आग्रह कएले जानकारी करएले हए ।
राहत आ पुनर्व्यवस्थापनके कार्यमे कमी नहोएदेवेला प्रमुख सचिवके नेतृत्वमे २ गो कार्य दल गठन कएले आ कार्य दल अपन कार्य शुरू कर चुकल जनएलन । हुन, प्रदेश सरकार १ करोड़ ३४ लाखके खाद्यान सहितके राहत सामग्री खरीद करेके आ पीड़ितके घर तक बहुत जल्दी पुगेके विश्वास व्यक्त कएलन ।
प्रदेश मातहतमा रहेका सवै निकायलाइ बाढ़ी पीड़ितको राहत वितरणमा खटन निर्देशन दिइएको बताए । मुख्यमन्त्री राउतले प्रदेश सरकारले उपलब्ध गराएको १० लाखको राहत सामग्री वितरण गरे । बाढ़ीमा मृत्यु भएकालाइ नेपाल सरकारले उपलब्ध गराएको १ लाख रुपैया पीड़ित परिवारलाइ समेत हस्तानांतरण गरेका छ ।
कार्यक्रममे प्रदेश सरकारके आन्तरिक मामिला तथा कानून मन्त्री ज्ञानेन्द्र यादव ,कृषि भूमि व्यवस्था तथा सहकारी राज्य मन्त्री योगेन्द्र यादव , भौतिक पूर्वाधार राज्य मन्त्री डाक्टर डिम्पल झा , प्रदेश संसद रामकिशोर यादव , बाबूलाल साह कानू , जिल्ला समन्वय समितिके उपसभापति राम आसिष यादव , गौर नगरपालिकाका प्रमुख अजय कुमार गुप्ता , देवाही गोनाही नगरपालिकाके प्रमुख धर्मेन्द्र पटेल , गरुडा नगरपालिकाके मेयर इन्नु राय यादव , प्रमुख जिल्ला अधिकारी किरण थापा , नेपाल प्रहरीके प्रहरी उपरीक्षक भूपेन्द्र खत्री, सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक कृष्ण ढकाल, नेपाली सेनाके सेनानी सहित समाजवादी पार्टी नेपालके रामेश्वर प्रसाद यादव सहितके नेतासवके सहभागी रहल रहे ।
मुख्य मन्त्री राउत राजदेवी नगरपालिका वड़ा नम्बर ६ आ ९ को विचमे कर रहल बागमती नदी कटानके स्थलगत निरिक्षण करईत तत्काल मरमतके लेल २५ लाख रुपैया उपलब्ध करावेके प्रतिवद्धता जनएले छत ।
बुधके दिन संघीय सरकारका मन्त्रीसवके बडका टोली रौतहट अएलापर भी पीड़ित साथे भेट नकएलापर भी मुख्य मन्त्री राउत प्रभावित क्षेत्रके स्थलगत निरिक्षण आ पीड़ितसवके समस्याके सुनेके काम कएले रहलन । बड़हरवा, ईशनाथ नगरपालिकामे जाके राउत दाहरसे प्रभावित समस्यासवे निरिक्षण कएले छत ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here