रौतहट, साओन ०२ ।
प्रदेश सरकारके कृषि भूमि व्यवस्था तथा सहकारी राज्य मन्त्री योगेन्द्र राय यादव रौतहटके प्रमुख जिल्ला अधिकारी उपर आक्रोश व्यक्त कएले छत । जिल्ला प्रसाशन कार्यालयमे आयोजना कएल गेल राहत वितरण कार्यक्रममे राज्य मन्त्री यादव प्रमुख जिल्ला अधिकारी थापा उपर खिसियाएल छत ।
मुख्यमन्त्री महमद लालबाबू राउत गद्दी सहभागी भेल राहत वितरण कार्यक्रममे पीड़ितके राहत सामग्री हस्तानान्तरण करेला आग्रह कएला पर राज्य मन्त्री यादव सीडीओ संघीय सरकारके मान्यता मात्र देईत आएल सोझे आरोप लगवईत राहत सामग्री हस्तानान्तरण नकरेला अड़ान लेले रहलन ।
अभि तक प्रदेश सरकारके आ प्रदेश सांसद साथे कओनो सहकार्य , समन्वय नकरेके प्रमुख जिल्ला अधिकारी थापा संघीय सरकारके मात्र प्रतिनिधित्व करईत आएल बताएलन । कुछ देर दुसर राज्य मन्त्री यादवके मुख्य मन्त्री राउत कहलापर राहत सामग्री पीड़ितके देले रहे । दाहर पीड़ितके राहत वितरण करेके काममे सीडीओ अभि तक पूर्ण रूपसे जिम्मेवारी निर्वाह नकएले राज्य मन्त्री यादवके कहनाम रहे ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here