कठमाडौ , साओन ११ । कप्तान पारस खड्का उत्कृष्ट अर्धशतकीय पारी खेललाके बाद नेपाल आइसीसी टि–२० विश्वकप अन्तर्गत एसिया छनौटके तिसरा खेलमे कुवेतउपर ७ विकेटसे सानदार जित भेल है । जित साथे ५ टोली सहभागि प्रतियोगितामे ४ अंकसहित नेपाल दोस्र स्थानमे पुगल है । यी प्रतियोगितासे र्शीष टोलीमात्रे अक्टोबरमे ग्लोबल छनौटमे पुगलासे नेपाल आइतबार सिंगापुरविरुद्ध जित हात मारेवाला है । सिंगापुर ५ अंकसहित र्शीष स्थानमे है । कुवेतके देल १ सय ४२ रनके लक्ष्यके नेपाल १५.५ ओभरमे ३ विकेट नोक्सान करके भेटाएल । नेपालके जितमे कपतान पारस खड्का ४२ बलमे ११ चौका आ १ छक्कासहित ६८ रन जोरलन । दोस्र विकेटके लेल पारस आ शरद भेषावकर ७८ रनके साझेदारि करइत नेपालके जितके अधार बनएले रहे । शरद छक्का प्रहार करइत नेपालके लेल रन बनएलन । शरद ३० बलमे ४ चौका आ १ छक्कासहित ३८ रन बनएलन । शरदसाथे रोहित पौडेल ६ रनमे नटआउट रहे । ओसे पहिले पारस आ ज्ञानेन्द्र मल्लबीच ४४ रनके साझेदारि भेल रहे । ज्ञानेन्द्र १३ बलमे २ चौका आ एक छक्कासहित १९ रन जोड लन । ओसे पहिले सिंगापुरके इन्डियन एशोसियसन ग्राउण्डमे भेल खेलमे टस हारके ब्याटिङके नेवता पएले कुवेत निर्धारित २० ओभरमे ९ विकेट नोक्सान करके १ सय ४१ रन बनएले रहे । १८ ओभरमे कुवेत १११÷८ के स्थिसतमे भेलापर भि अन्तिम दुई ओभरमे कुवेत ३० रन जोडले रहे । करण केसी कएले १९ औँ ओभरमे मोहम्मद कासिफ २ छक्कासहित १३ रन जोडलन । ऋोइसहि अन्तिम ओभरमे कासिफ हि २ छक्का आ एक चौका प्रहार करइत १७ रन जोडलकाके बाद कुवेत सम्मानजनम स्कोर बनएलक । कासिफ ३६ बलमे ४ छक्का आ २ चौकासहित ४९ रन जोडलन । आइसहि आन्दन इन्द्रास १४ बलमे ५ चौकासहित २५ रन जोडलन । मोहम्मद इस्लाम २५ बलमे २३ रन बनएलन । ओकरा बाहेक राजिभा सान्दारवान १५ आ बिलाल ताहिर १३ रन जेडलन । न्ेपालके बसन्त रेग्मी आ सन्दीप लामिछाने कसिलो बलिङ कएलन । बसन्त ४ ओभरमे २० रन नोक्सान करइत ३ विकेट लेलन । अ‍ेइसहि सन्दीप ४ ओभरमे २९ रन नोक्सान करइत ३ विकेट लेलन ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here