काठमाडौ , साओन ११ । नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी(नेकपा) के अध्यक्ष एवं पूर्वप्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल समाजवाद निर्माणके लेल सरकार ‘समृद्ध नेपाल,सुखी नेपाली’के नारा अघि सारेके बतएले छत । सामाजिक न्यायसहितके समृद्धि निर्माण करके नेकपाके विश्वमे समाजवादके नयाँ मोडल प्रस्तुत करेके चाहिछि हुन बतएलन । शुक्रबारसे काठमाडौमे सुरुभेल ‘एसिया प्यासिफिक कन्फरेन्स अफ सोलिडारिटी विथ क्युबा’के दुई दिने सम्मेलनके उद्घाटन सत्रमे हुन समाजवाद निर्माणके लेल क्युबाके कम्युनिस्ट पार्टी खेलले भुमिकाके खोलके प्रशंसा कएलन । क्युबा एगो राष्ट्र मात्रे नहोके विशवके कम्युनिस्टके आदर्श भूमि भि भेलसे ओकरासे सिखके विश्वके कम्युनिस्ट पार्टीसे अपनासे अगाडि बढावेके हुन बतएलन । अध्यक्ष दाहालहि क्युबाके सर्वहारा वर्गके उतथानके लेल लरले लराई विश्वभरके कम्युनिस्टके लेल आदर्श बनइत रहि दाबि कएलन । हुन नेकपाके भि जनताके विश्वास जितके दुई तिहाइ बहुमतके बरियार सरकार बनाएले उल्लेख करइत अब समाजवाद निर्माणके आधार तय करइत आगाडि बढेके प्रिबद्धता व्यक्त कएलन ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here