कठमाडौ , साओन १३ । संघीय संसदके प्रतिनिधि सभाके बैठकमे नेपाली कँग्रेस आ राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) नेपालके सांसदसबे नाराबाजी कएलाके बाद संसद बैठक स्थगित भेल है । संसद बैठक शुरु भेलाके लगलिए दुई पार्टीके सांसदसब ४० मिनेट नाराबाजी कएलक । सांसदसबके नाराबाजीके बाद सभामुख कृष्णा महरा बुधबार ११ बजे तक के लेल बैठक स्थगित कएले छत । विरोधके बीच सभामुख महरा थोरा समयके कार्यसूची प्रारम्भ करके तयारी करलाकेबाद सांसदसब रोसटम घेरइत नाराबाजी शुरु कएले रहे । हुनलोग सर्लाही घटनाके छानविन करेके संसदयि छानविन गठन करु,संसदयि सर्वोच्चता कायम करु,मानव अधिकारके हनन करेवाला बन्द करु जइसन नारा लगएलक । यीहेबचि,सभामुख महरा बहुत दिनसे संसद अवरुद्ध होइत जनताके समसामायिक राखेके नमिल्ल कहइत अवरोध हटावेके आ संसद सुचारु करेके आ अवरोध हटावेके परि विशेष अनुरोध कएलन ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here