प्रदीप सम्राट ,रौतहट, साओन १४ । बारा जिल्लाके इलाका प्रहरी कार्यालय सिम्रौनागढ़के थुनासे फरार अभियुक्त आजु रौतहट पुलीस पकडके सार्वजनिक कएले हए । पकडाएल व्यक्ति बारा जिल्ला सुबर्ण गाउँपलिका वार्ड नं. ४ हर्दिया टोल निवासी १९ वर्षाके मान्नु कहेबाला रहमान मिया प्रदेश नम्बर २ के सभामुख सरोज यादवके जेवसे ५० हजार चोरी कएले मुदमे पकडल गेल रहे, लेकिन सिम्रौनगढ इप्रकामे साउन ७ गते खाना खाएके समय देवाल छरपके भगल रहे ।

ओइसहि फरार भेलाकेबाद रौतहट जिल्लाके गौर बजारमे साउन १२ गते फतुवा विजयपुर नपा. वार्ड नं. १ निवाशी रामानन्द साहके झोरामे रहल ६ हजार रुपैया चोरी करईत अवश्थामे सादा पोशाकमे रहल प्रहरीके टोलि रंगेहात पकडलाके वाद जिल्ला प्रहरी कार्यालय गौर बुझाके थप अनुसन्धानके बाद बारा जिल्लाके सिम्रौनगढ इप्रकाके बुझाबेके तयारी होरहल जिप्रका गौर जनएले हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here