रौतहट , साओन १५ । रौतहट जिल्लाके चन्द्रपुर नगरपालिकाके वडा नम्बर ३ के कार्यालयमे बितल रात अज्ञात समूहद्धारा आगलगी भेल हए । विप्लव समूहके बन्दके पुर्वसन्धयामे हि रौतहटके एक वडा कार्यालयमे आगलगी भेल हए । आगलगीसे कार्यालयके सब कागज जरके नष्ट भेल वडा अध्यक्ष रवि देबकोटा जानकार िदेले छत । कार्यालय भित्र रहल कम्प्युटर, दराजलगायतके कागजसब जरके नष्ट भेल हुन बतएलन । देवकोटाके घरमे बितल रात ईटापथल बिगले हए । ईटापथलसे देवकोटाके घरके खिरकिके सिसा फुटल हए । चन्द्रपुर नगरपालिकाके गैंडाटारमे रहल वडा कार्यालयमे बितल रात १ बजे अज्ञातसमुहद्धारा आगलगी भेल हए । घटनाके बारेमे अनुसन्धान होरहल ईलाका पुलिस कार्यालय चन्द्रनिगाहपुरके डिएसपी कबित कुटवाल बतएले छत । पुर्व पश्चिम राजमार्गमे फुटफाट गारीघोरा चलल हए त दक्षिण भेगमे बन्दके असर परल हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here