रौतहट , साओन १५ । रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिकामे एके घरके भाई बहिनके पोखरीमे डुबके मृत्यु भेल हए । चन्द्रपुर नगरपालिका–९ डुमरियामे इँटाभट्टके पोखरीमे डुबके ११ वर्षीय अनिस साह आ ८ वर्षीय कल्पना साहके मृत्यु भेल इलाका पुलिस कार्यालय चन्द्रनिगाहपुर जानकारी देले हए । सर्लाही हरीपुर नगरपालिका –४ के संजय साहके बेटाबेटीके डुबके मृत्यु भेल पुलिस कार्यालय जानकारी देले हए । इँटाभट्टा बनावल खदियामे जमल पानी खेले गेल भाईबहिनके मृत्यु भेल मृतकके परिवार बतएले हए । बुधबार विप्लव समूहके बन्दके कारण शैक्षिक संस्था नखुल्लाके कारणसे बच्चासब खेले गेल स्थानीयसब बतएले हए । मृत्यु भेल बच्चासबके लास पोष्टमार्टमके लेल चन्द्रनिगाहपुर अस्पतालमे राखल हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here