कठमाडौ , साओन १६ । सभामुख कृष्णबहादुर महरा संसद अवरोध खुलावेके लेल आजु सर्वदलयि बैठक बोलएले छत । नेपाली कांग्रेस आ राजपाके कारण संसद बैठक नबइठलाके कारण सभामुख महरा आजु दुपहरके १२ बजेके बाद सर्वदलीयष् दलके बैठक बलएले हुनकर प्रेस संयोजक डिल्ली मल्ल जानकारी देले छत । बुधके दिन कांग्रेस आ राजपाके सांसदसब सर्लाही घटनाके बारेमे छानवनि करेला संसदीय समिति गठनके माग करइत हलागुली कएलाके बाद आजु बिफके दिन २ बजे तकके लेल रोकल गेल रहे । सर्लाहीके बाँके चैकमे विरोध प्रदर्शन करके क्रममे पुलिसके गोली लगलासे एक जनाके जान गेल रहे ओकरे छानविन करेके लेल संसदीय समिति गठन करेला कांग्रेस आ राजपाके सांसदके माग करइत असार २४ गते सेहि प्रतिनिधिसभामे हलागुलि करइत आरहल हए । अाेहिसे, राष्ट्रियसभासे राष्टिय खेलकुद विकास विधेयक,२०७५ पारित करेके तयारी रहल हए । दुपहरके ३ बजेके बोलाबल गेल बइठकमे युवा तथा खेलकुद मन्त्री जगतबहादुर सुनार विधायन व्यवस्थापन समितिके प्रतिवेदन सहितके विधेयक देखवाल गेलाके बाद पारित करेके तयारी भेल संसद सचिवालय जनएले हए । बिफके बैठकमे वातावरणमैत्री सवारी आ यातायात नीति,२०७१ अा विदयुतीय सवारीसम्बन्धी राष्ट्रिय कार्ययोजना कार्यान्वयनके अवस्थाके बारेमे भौतीक पूर्वाधार आ यातायात मन्त्रीके ध्यानाकर्षण प्रस्तावमे छलफल करेके सुची रहल हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here