जनकपुर , साओन २४ । प्रदेश २ के आर्थिक मामिला तथा योजना राज्यमन्त्री उषा यादवके दैनिक भ्रमण भात्ता सचियावल गेल हए । मुख्यमन्त्री आ मन्त्रीपरिषदके कार्यालय बिफके दिन विवरण सचियावइत राज्यमन्त्री यादवके दैनिक भ्रमणभत्तता २ लाख २५ हजार २ सय ५७ रुपैया मात्रे बुझल जनएले हए । एसे पहिले हुनकर दैनिक भ्रमणभात्ता सवाृधिक ३ लाख १९ हजार २ सय ८३ रुपैया देखावल गेल रहे । कार्यालयके नौँ तहके अधिकृत रुपेश कुमार साहके अनुसार राज्यमन्त्री यादवके भ्रमण भात्ता हुनकर स्वकीय सचिव, चालक, सुरक्षागार्ड सबके रकम जारके उल्लेख भेले रहे । साहके त्रुटीबस सुविधाके कर्मचारीसबके भत्ता भि राज्यमन्त्रीमे जोरागेल जनएले हए । राज्यमन्त्री यादव गलत सुचनाके कारण अपनाके मानमर्दन भेल कहइत अपन दुख व्यक्त कएलिन । ‘हमर नलेल रकम हमरा नाममे देखावल गलत हए’ हुन कहलिन् कर्मचारीसबके असावधानीके कारण अनावश्यक रुपमे हमरा दुख पहुचल ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here