काठमाडौ , साओन २९ । पाकिस्तान आजु अपन ७३ औँ स्वतन्त्राता दिवस मनएले हए । स्वतन्त्रता दिवसके अवसरमे बुधके दिन नेपालमे रहल पाकिस्तानी दुतावास अपन परिसरमे विशेष कार्यक्रमके बीच झण्डातोलन करइत दिवस मनएले । ७३ वर्ष पहिले भारतसे छुटल पाकिस्तान हरेक सालके १४ अगस्टके अपन स्वतन्त्रता दिवसके रुपमे मनावइत आरहल हए । दुताबासमे पाकिस्तानी प्रधानमन्त्री इमरान खान पाकिस्तानी जनतामे सुख शान्ति आ खुसीयाली बाटइत विश्वभर बन्धुत्व आ भाईचाराके कामना कएले छत । प्रधानमन्त्रीके शुभकामना सन्देशमे राष्ट्रिय एकता आ सर्वाभौमिकताके लेल सबे पकािस्तानी जनताके एक होएके लेल उल्लेख कएलन । नेपाल सरकार भि पाकिस्तानके ७३ औ स्वतन्त्रता दिवसके अवसरमे पाकिस्तान सरकारके शुभकामना व्यक्त कएले छत ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here