कठमाडौ , भादो २ । अन्तर्रष्ट्रिय नागरिक उड्डयन संस्था (आइकाओ) अन्तरगत एशिया प्रशान्त क्षेत्रीय नागरकके उड्डयन महानिर्देशकसबके सम्मेलन काठमडौमे सुरु भेल हए । आजु सोमवार काठमडौमे सुरु भेल सम्मेलनके उद्घाटन प्रधान्मन्त्री केपी शर्मा आली कएले छत । उद्घाटन शत्रमे सम्बोधन करइत प्रधानमन्त्री ओली नेपालमे देखल गेल हवाइ क्षेत्रके समसया समाधानके लेल सरकार प्रतिब्ध रहल बतएले छत । हुन नेपाल प्रकृतिकके कारण बुहत सुनदर देश हए कहइत पर्यटकसबके लेल रमणीय रहल बतएलन । यीहाके हवाई क्षेत्रमे भि प्रगति होइत आ आर्थिक सुरक्षाके क्षेत्रमे क्रमिक सुधारके जानकारी करावइत प्रधानमन्त्री ओली नेपाल भ्रमण वर्ष २०२० के अवसरमे यीहवा भ्रमण करेवाला विदेशी मेहमानके नेवता देले छत । नेपालके मुखय क्षेत्र हि पर्यटन रहल कहइत हुन एमे कनेक्टिभिटीके जादा महत्व रहल बतउले छत । संस्कृति,पयैटन आ नागरिक उड्डयनमन्त्री योगेश भट्टराई भि नेपालमे हवाई क्षेत्र सुधार होरहल जानकारी देलन । हुन हवाइ सुरक्षके बारमे विभिन्न तहमे छलफल होरहल आ और प्रगति होसकइत हए बतएलन । हवाई उड्डयनके क्षेत्रमे नेपाल नीतिगत सुधार करइत एसिया क्षेत्रमे नेपाल उत्कृष्ट रहल हुनकर भनाइ रहल । यी सम्मेलन शुक्रके दिन तक चलेवाला हए । सम्मेलनमे ४३ मुलुकके २ सय ९१ प््रतिनिधिसबके सहभागिता रहल नेपाल नागरिक उड्डयन प्राधिकरण जनएले हए । साथे २६ गो प्रवर्धक संस्था आ अन्यके सहभागि करके करिब ४ सय जाना विदेशी पाहुनासब काठमाडौ आएल प्राधिकरणके दाबी हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here