रौतहट , भादो १७ । रौतहटके देवाही गोनाही नगरपालिकामे इजोतसे अतिपिछरल डोम आ मुसहर समुदाय लाेगके मेयर धर्मेन्द्र पटेल सोलार वितरण कएले छत । देवाही गोनाही नगरपालिकाके विभिन्न वाडामे रहल डोम मुसहर समुदायके करिव १० घरके अनहारसे इजोत बनावेके उदेश्यके साथ सोलार प्यानल वितरण कएले मेयर पटेल जानकारी देले छत । उर्जा मन्त्रालय अन्तर्गत रहल बैकल्पिक उर्जा प्रवद्रधन केन्द्रके सहयोग आ देवाहीगोनाही नगरपालिकाके समन्वयनमे उक्त सोलार प्यानल वितरण भेल हए । रातभर चारगो सीएफएल बल बरि २० वाट क्षमता भेल सोलार प्यानल आ बैटरी सेट वितरण भेल हए । वितरण कार्यक्रममे मेयर पटेल , बैकल्पिक उर्जा प्रवद्रधन केन्द्रके धन्यवाद देइत ,अगामी दिनमे भि अइसन सहयोग होएके आशा रहल बतएले छत ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here