काठमाडौँ , भादो १८ । राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल (राजपा नेपाल ) संबिधान जारी भेल आशिन ३ गते बिरोध दिवसके रुपमे मनावे निर्णय कएले हए । सरकार संबिधान जारी कएल दिन आशिन ३ गते संबिधान दिवस मनावेके तयारीमे हए । राजपा नेपालके पार्टी कार्यालय बबरमहलमे मंगरके दिन बइठल अध्यक्ष मण्डलके बैठक देशभर विरोध दिवस मनावेके निर्णय कएले हए । राजपा नेपालके अध्यक्ष मणडलके संयोजक राजकिशोर यादव आशिन ३ गतेके विरोध दिवसके रुपमे मनावइत अएलासे यी कार्यके निरन्तरता देवेके निर्णय भेल बतएले छत । लेकिन कार्यक्रम सवरुप कइसन होइ आ कथि कथि होइ ओकरा बारेमे पार्टी अभि सार्वजनीक नकएले हए । अइसहि राजपासे प्रदेश २ मे उधोग, पर्यटन , वन तथा वातावरण मन्त्री भेल रामनरेश राय बारा अन्तर्राष्ट्रिय बिमानस्थल बनावे नदेवेके अभिव्यक्ति देवेके साथसाथे चौतर्फी बिरोध भेलाके बाद पार्टीके बचएले छत । राजपा नेपाल कौनो भि नाम,बहाना चाहि कौनो कारण देखाके अन्यत्र वा अन्यथा करेके उदेश्य नभेल जनएले हए । बारा अन्तर्राष्ट्रिय बिमानस्थल निजगढमे हि बनावेमे पार्टी प्रतिबद्ध हए । बिमानस्थल निमार्णमे प्रदेश सरकारसे आवश्यक समन्वय करके, अनावश्यक गाछी नकाटेके , वनस्पति एवं आवागमन पथके वाधा नपुगे आ वनमे रहेवाला निर्भर जनतासबके पानीके समस्या, नदीनालाके बिनास आ समग्र पर्यावरणीय प्रभाव मुल्यांकन करके प्रस्तावित बारा अन्तर्राष्ट्रिय बिमानस्थल दुतगतिमे सिघ्र निर्माण करेला राजपा माग कएले हए । यीहे बीचमे कलैया,निजगढ लगागयतके बिरोधमे बिरोध प्रदर्शन भेल हए । मंगरके दिन बिद्यार्थीसब बारा अन्तर्राष्ट्रिय बिमानस्थल बनेके चाही माग करइत बिरोध प्रदर्शन करेके साथसाथे मन्त्री रायके पुतला दहन समेत कएले हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here