रौतहट , भादो २१ । मोटरसाइकल दहेज नदेलाके कारण रौतटहके राजपुर नगरपालिका ७ अकोलवामे एक महिलाके हत्या भेल हए । रामबाबु सहनीके २५ वर्षीय पत्नी सन्जु देवीके बिफेके दनि हत्या भेल । मृत्क सन्जुके बाबु अविलास सहनी पुलिसमे देल किटानी जाहेरीके अनुसार दमाद रामबाबुके दहेजमे मोटरसाइकल नदेलाके कारण मारपीट करके हत्या कएले हए । कुछ दिन पहिले छोट बेटीके विवाहमे मोटरसाइकल दहेज देले रहि उहे देखलाके बाद रामबाबु सन्जुमार्फत कहलक कि हमरो मोटरसाइकल चाहि आ नदेलाके बाद बिफेके दिन दोपहरमे सन्जुके हत्या भेल बतावल जारहल हए । बेटीके मृत्यु सुनलाके बाद उहवा गेली , जाके देखलाके बाद घेटमे दाग देखलासे हमर दमाद हि बेटीके हत्या कएले बाबुके भनाई हए । दमाद रामबाबु बहुत दिनसे दहेजमे मोटरसाइकल मंगलासे सन्जुके मानसिकाता आ मारपीट करइत आएल बाबु अविलास बतएलन । घटना संकास्पद होलासे सन्जुके पती रामबाबु आ ससुर मोहन सहनीके पकरले जिल्ला पुलिस कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here