एजेन्सी , भादो २२ । अमेरकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प तालिवानसे शान्ति सम्झौता रद्द भेल घोषणा कएले छत । ट्रम्प सामाजिक सञ्जाल ट्वीटरमे एकराबारेमे उल्लेख करइत तालिवानसे शान्ति सम्झौता रद्द भेल बतएले छत । ट्रम्प तालिवानी वरिष्ठ नेतासबसे भेटवार्ता कएलाके बाद अइसन निर्णय लेले छत । कुछ दिन पहिले मात्र काबुलमे भेल कार बम बिस्फोटबाद ट्रम्पके अइसन निर्णय होसकइत हए अन्तरनष्ट्रिय मिडियासब उल्लेख कएले हए । जौन बिस्फोटमे एक अमेरकी सैनिकसहित १२ जनाके मृत्यु भेल रहे । एने अफगानिस्तानके लेल विशेष अमेरिकी राजदुत जल्मे खलीलजाद कुछ दिन पहिले मात्र तालिवानसे वार्ता होएके बतावइत मिति समेत तय भेल जानकरी करएले रहे । लेकिन वार्ताके संघारमे ट्रम्प तालिवानसे शान्ती सम्झौता रद्द कएले छत । सम्झौता रद्द होलाके बाद अब अफगनिस्तानसे अमेरिकी सेना फिर्ता नहोएवाल भेल हए । जबकी वार्ताके लेल कएल प्रस्तावित सम्झौतामे २० हप्ताभित्र अमेरकी सेना फिर्ता लेजाएके लेल सम्झौतमे उल्लेख रहे । हाल अफगानिस्तानमे पाँच हजारसे जादा तैनाथ हए । अमेरिका सन् २००१ से अफगानिस्तानमे बिद्रोहबिरुद्ध कारवाही होरहल हए । जौन कारवाहीमे मात्र तीन हजार तीन सय अमेरिकी सेना रहल हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here