जनकपुर , भादो २२ । प्रदेश २ सरकार प्रदेश लोकसेवा आयोग अध्यक्षमे नियुक्त कएले प्राध्यापक सुरेन्द्रप्रसाद यादव पद तथा गोपनियताके सपथ लेले छत । आजु आईतवारके दिन सबेरे मधेश भवनके हलमे आयोजीत एक समारोहबिच हुनकाके प्रदेश २ के प्रमुख रत्नेश्वरलाल कायस्थ सपथ ग्रहण करवएले छत । मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत नेतृत्वके समितिके सिफारिसमे प्रध्यापक यादवके प्रदेश लोकसेवा आयोगमे नियुक्त करावलगेल रहे । ओइसहि प्रदेश २ के नीति आयोगके उपाध्यक्षमे प्रध्यापक डा. भोगेन्द्र झा नियुक्त भेल छत । उहे अवसरमे हुनकारा प्रमाणपत्र प्रदान कएल गेल हए । सपथ ग्रहण समारोहमे मुख्यमन्त्री लालबाबु राउउत, सभामुख सरोजकुमार यादव, भौतिक पूर्वाधार विकासमन्त्री जितेन्द्र सोनाल , उद्योग , पर्यटन , वन तथा वातावरण मन्त्री रामनरेश राय , भूमि व्यवस्था कृषि तथा सहकारी मन्त्री शैलेन्द्रप्रसाद साह , राज्यमन्त्री योगेन्द्र यादव , नेकपा संसदीय नेता सत्यनारायण मण्डल , नेपाली कँगे्रस संसदीय दलके नेता रामसरोज यादव , मुख्यन्यायाधिवकता दिपेन्द्रकुमार झा लगायत प्रदेश सांसद , कर्मचारी लगायत लोगसबके उपस्थिति रहे ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here