रौतहट , भादो २२ । रौतहट संसदिय निर्वाचन क्षेत्र नं ३ अनतर्गत राजपाके क्षेत्रीय अध्यक्ष प्रदिप विक्रम साहके बितल रात मृत्यु भेल हए । उच्च रक्तचाप आ चिनी रोगसे ग्रसित क्षेत्रिय अध्यक्ष साहके ६४ वर्षके उमरमे शनिचरके दिन रातके ८ बजे अपने घरमे मृत्यु भेल । कटहरिया नगरपालिका ८ पिप्रा पोखरीया स्थित अपने घरमे रहलाके समयमे बितलरात रक्तचाप उच्च बढल त हुनका एम्बुलेन्समार्फत उपचारके लेल भरतपुर लेजाएके क्रममे रास्तामे मृत्यु भेल हुनकर बेटा समिर साह बतएले छत । प्रदिप साह एसेपहिले तत्कालिन तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीमे आवद्ध रहलन । आसे पहिले हुन तत्कालिन पिप्रा पोखरीया गाविवसमे तिन बार अध्यक्ष पदमे निर्वाचित भेल रहलन । साहके २ गो बेटा, २ गो बेटी आ पतनि हए । क्षेत्रीय अध्यक्ष प्रदिप साहके निधन भेलासे राष्ट्रिय जनता पार्टीके बहुत बारा क्षतिभेल राजपाके केन्द्रिय अध्यक्ष मण्डलके सदस्य एवं पुर्वमन्त्री अनिल झा बतएले छत । पुर्वमन्त्री झा मृत्क साहके आत्माके चिरशान्ती आ शोकाकुल परिवारजन प्रति दर संवेदना प्रकट कएले हए । ओइसहि कटहरिया नगरपालिकाके प्रमुख शियाराम कुश्वाहा भि हुनका मृत्यु प्रति हार्दिक श्रधाञ्जली व्यक्त करइत शोकाकुल परिवारप्रति संवेदना प्रकट कएले छत । पुर्व गाविस अध्यक्ष प्रदिप साहके पिप्रा पोखरीया अपने घरमे लयाको अन्त्येष्टि करेके कार्यक्रम रहल हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here