रौतहट , भादो २३ । रौतहटके गुजरामाई नगरपालिकाके चौथा नगरसाभा सम्पन्न भेल हए । ज्नप्रतिनिधि बिचके विवादके कारण नगरसाभा समयमे नहोखे सकल । सरकारके समय अनुसार सबे पालिका असाढ मसान्तमे नगरपरिषद करेके चाहि लेकिन विभिन्न कारणसे नहोलासे गुजरा नगरपलिकाके नगरसभा आईतवारके भव्यताके साथ सम्पन्न भेल । न्गरप्रमुख सन्तलाल चौधरी चालु आर्थिक वर्ष २०७६÷०७७ के लेल ४६ करोड से जादा बजेट प्रस्तुत कएले हए । नगरप्रमुख सन्तलाल चौधरी संघिय सरकारके वितिय समानिकरण १३ करोड ६८ लाख , संघिय सरकारके सर्शत अनुदान १२ करोड ९९ लाख , प्रदेश सरकारके वितिय समानिकरण ७५ लाख ५० हजार , प्रदेश सरकारके सर्शत अनुदान १ करोड , प्रदेश सरकारके विशेष अनुदान ३० लाख, प्रदेश सरकारसे सम्पुरक अनुदान ४० लाख , राजश्व बाडपलाडसे ११ करोड २८ लाख, आन्तरिक आय ओर २ करोड ८९ लाख ३० हजार आ गत वर्षके मौजदात २ करोड ९३ लाख ७२ हजार ३२५ करके कुल रकम ४६ करोड २३ लाख ५२ हजार ३२५ आय व्यय प्रस्तुत कएल गेल हए । चलु आर्थिक वर्षमे चालु ओर २७ करोड १३ हजार ७६० आ पुँजिगत ओर १९ करोड २३ लाख ३८ हजार ५७० खर्च होएके अनुमान कएले मेयर चौधरी बतएले छत । नगरसभा चालु आर्थिक वर्षके लेल नगरके आर्थिक विकास क्षेत्रमे ६६ करोड ४५ लाख , समाजिक विकास क्षेत्रमे १३ करोड ६ लाख ४६ हजार , पूर्वाधार विकास क्षेत्रमे १६ करोड ४९ लाख ८२ हजार , वातावरण तथा विपद् व्यवस्थापन क्षेत्रमे २३ लाख आ सुशासन तथा अन्तर सम्बन्धित क्षेत्रमे १५ करोड ७७ लाख ७९ हजार रकम विनियोज कएले हए । नगरपालिकाके उप प्रमुख नुरजहा खातुनके अध्यक्षता आ नगरप्रमुख सन्तलाल चौधरीके प्रमुख आतिथ्यमे उक्त नगर परिषद सम्पन्न भेल हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here