जनकपुर , भादो २३ । अज्ञात समुहद्धारा छुरा प्रहार करके धनुषामे एकजनाके हत्या कएले हए । मिथिला बिहारी नगरपालिका १० ठेरामे रहेवाला ६० वर्षके रामवरण शर्माके अज्ञात व्यक्तिसब छुरा प्रहार करके हत्या कएले हए । आइतवार साझके करिब सावा ८ बजे बजारसे घर लौटइतके समयमे वडा नं. ८ कचुरी नजिके मोटरसाइकलमे आएल दुईजना व्यक्ति शर्माके घेटमे छुरा प्रहार करके भागल रहे । छुरा प्रहारसे गम्भीर घायल शर्माके उपचारके लेल जनकपुर अंचल अस्पतालमे लेअएलाके समयमे मृत्यु भेल धनुषके पुलिस उपरीक्षक शेखर खनाल जानकारी देले छत । देखेवालाके अनुसार पिअर रंगके मोटरसाइकलमे आएल दुई जना अज्ञात व्यक्ति शर्माके उपर छुरा प्रहार करके भागल रहे । शर्माके लासके पोष्टमार्टमके लेल जनकपुर अंचल अस्पतालमे राखल हए । घटनास्थलपर रातमे हि पुलिस उपरिक्षक खनालके टोली पुगल रहे । घटनाके थप अनुसन्धान होरहल आ हत्याराके खोजीके काम जारी हए उपरीक्षक खनाल बतएले छत ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here