काठमाडौ , भादो २४ । अमलेखगञ्ज–मोतीहारी पेट्रोलियम पाइपलाइन मंगलके दिन नेपाल आ भारतके प्रधानमन्त्री संयुक्त रुपमे उद्घाटन कएले छत । दक्षिण एसियाके पहिला क्रस बोर्डरके रुपमे रहल पाइपलाइनके प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली प्रधानमन्त्री कार्यालय सिंहदरबार अ म भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी दिल्ली स्थित हैदराबाद हाउससे संयुक्त रुपमे स्विच दाबके उद्घाटन कएले छत । भिडियो कन्फरेन्सिङमार्फत दुनु देशके प्रधानमन्त्री संयुक्त रुपमे परियोजनाके उद्घाटन भेल हए । इलेक्ट्रिस स्विच दाबके उद्घाटन करेके साथसाथे पाइपमाफर्त डिजल आवेलागल हए । २०७२ सालमे भेल सम्झौताअनुसार भारत ७० किलोमिटर लामा पाइप बिच्छादेले हए । ७० किलोमिटर लामा पाइपलाइन मध्ये नेपाल ओर ३६ किलोमिटर आ भारत ओर ३४ किलोमिटर रहल हए । सुरुमे भारत २ अर्ब भारु आ नेपाल ७५ करोड रुपैँया खर्चकरेके सम्झौता भेलाके बाद भि अभितक भारत मात्र खर्च कएले हए । नेपालमे डिजलके माग बहुता होलासे पाइपलाइनसे सुरुमे डिजल मात्रे आइ । पाइपलाइनसे प्रतिघन्टा २ सय किलोलिटर आ २४ घन्टामे ४८ लाख लिटर डिजल आवेवाला भेल हए । अभि अमलेखगञ्जसे दैनिक २० लाख मात्र डिजलके माग भेलासे दोसर नाकासे तेल लेवे भारत जाएवाल ट्यांकरसब अमलेखगञ्जसे डिजल लेजासकइत हए डिपो प्रमुख प्रदिप यादव जानकारी देले छत । पाइपमार्फत आएल तेल भण्डारण करेला ४१ लख लिटर क्षमताके २ गो ३९ लाख लिटर क्षमताके २ गो १ करोड ६० लाख लिटर अटेवाला ट्यांकी निमार्ण होगेल हए । अइसहि सुरक्षके सब उपकरण भि जडान होगेल हए । पाइपलाइनमार्फत आवेवाला तेल कन्ट्रोल आ नापजाँचके लेल अत्याधुनिक कम्युटर कन्ट्रोल रुम भि बनगेल हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here