काठमाडौ , भादो २५ । विश्वकप विजेता फ्रन्स आ इङ्ल्यान्ड युरो कप छनोटमे सानदार जित निकालले हए । मंगलके दिन रातमे भेल समूह ‘एच’ फ्रान्स एन्डोराके ३–० गोलसे हरएलक । समूह ‘ए’ के खेलमे इङल्यान्ड कोसोभोेके ५–३ गोलसे हरएलक । फ्रान्ु जित निकाललाके बादभि यी खेलमे भि पेनाल्टी मिस कएले रहे । १८ औँ मिनेटमे किंग्स कोमन गोल करइत फ्रान्सके अग्रत देवएलन । क्लेमेन्ट लेङ्लेट ५२ मिनेटमे गोल करइत फ्रान्सके अग्रता दुगुना बनादेलक । विसम बेय येडर दुसरा हाफके इन्जुरी समयमे गोल करइत फ्रान्सके जित देवएलन । जितसाथे ६ खेलसे १५ अंकविहिन एन्डोरा तालिकाके पिछे रहल । समूह ‘ए’ के अन्य खेलमे टर्की मोल्डोभाके ४–० गोल आ अल्बानिया आइसल्यान्डके ४–२ गोलसे हरएलक । समूहमे आइसल्यान्ड १२ अंक सहित तिसरा , र्नौ अंक बनएले अल्बानिया चौथा आ तीन अंक बनएले मोल्डोभा तालिकाके पाँच स्थानमे हए । अइसहि समूह ‘ए’ रहल युरो छनोटमे इङ्ल्यान्डके जितमे रहिम स्टर्लिङ आठौँ ,ह्यारी केनल १९ ओँ मिनेटमे एक एक गोल कएलक । जासोन सोन्चो ४४ औँ आ ४५ औँ मिनेटमे दुई गोल कएलक । दोसर गोल ३८ औँ मिनेटमे कोसोभोके मेर्जिम भोजभोडसे आत्मघाती गोलके सहयोग मिल्लरहे । कोसोभोके लेल खेलके पहिला मिनेटमे भालोन बेरिस गोल कएले रहे । दुसरा गोल भोरोन वेरिस ४९ औँ आ भेडाट मुरीक्वी ५५ औँ मिनेट कएलक । समूह ‘ए’के दोसर खेलमे चेक रिपब्लिक मोन्टेनेग्रोसे ३–० गोलसे हरएलक । यी समूहमे चार खेलसे १२ अंक् बनएले इङ्ल्यान्ड शीर्ष स्थानमे हए । दुसरा स्थानमे रहल चेक रिपब्लिबके पाँच खेलसे नौ अंक हए । आठ अंक बनएल्े कोसोभो तिसरा स्थानमे हए । मोन्टेनेग्रो आ बुल्गेरियाकबे दुई दुई अंक् हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here