प्रदीप सम्राट, गरुडा ,भादो २९ । रौतहट जिल्लाके गरुडा नगरपालिकामे अबस्थित आशिर्वाद गेस्ट हाउसमे बाल दिवसके अवसरमे बालबालिकाके लेल जनचेतना मुलक कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए। नागेन्द्र साह अध्यक्षता कएले कार्यक्रममे बालबालिकाके क्षमता अभिबृधिके लेल नेपाल प्रहरी द्वारा बिभिन्न जनचेतना मुलक कार्यक्रम कएल गेल हए।

उक्त कार्यक्रमके अवसरमे नेपाल प्रहरी बोडिंग स्कूल बसबिट्टी जिन्गडियाके फूट बल् खेलमे बिजेता भेल टीमसबके प्रमाण पत्र समेत बितरण कएल गेल हए । बाल दिवसके अवसरमे भेल कार्यक्रममे प्रमुख अतिथि एस.एस.बि.जीवन दाहाल ,विशिष्ट अतिथि नेपाल पत्रकार महासंघ रौतहटके अध्यक्ष रबिन्द्र साह ,जिल्ला समन्वय समितिके उप सभापति राम बिसिष्ठ यादव ,गरुडा नगरपालिकाके नगर प्रमुख इन्नु राय यादव ,उप नगर प्रमुख रंगीला देवी जैसवाल ,संचारकर्मी प्रहलाद साह ,मनोज चौधरी ,रौतहट टूडेके संचालक जितेन्द्र कुमार दास के उपस्थिति रहल जानकारी प्राप्त भेल हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here