सर्लाही , भादो ३० । सर्लाही खुला दिसामुक्त जिल्ला घोषणा भेल हए । सोमारके दिन प्रदेश नम्बर २ के भौतिक पूर्वाधारमन्त्री जितेन्द्र सोनल सर्लाहीके सदरमुकाम मलंगवामे एक आयनेजीत कार्यक्रमकेबीच सर्लाहीके खुला दिसामुक्त घोषणा कएले छत । ख्ुाला दिसामुक्त जिल्ला घोषणाके साथसाथे सर्लाहीके सब घरमे सिपटी बनल जिल्ला खानेपानी , सरसफाइ तथा स्वच्छता समन्वय समिति दाबी कएले हए । सर्लाहीमे जम्मा एक लाख ३५ हजार ३२० घर संख्या रहल हए । कार्यक्रममे मन्त्री सोनाल सहितके अतिथिसब कहलन खुला दिसामुक्तकरेके लेल सबके लागेके परि । सिपटीके बाहर पैखाना कएलासा बेफाइदा होखले जानते हुए भि बाहर पैखना करइत हए उ सबके सिपटीमे जाएला एक दोसराके समझउ । मलंगवासहित मुख्य बजार क्षेत्रमे जादा लेगके भिड रहले आ सार्वजनीक शौचालय नहोलाके कारणसे लोगके जाहा भेल उहे पैखाना , पेशाब कदेबले उ तर्फ ध्यान देबेके लेल नागरिक अगुवासब जोड देलन । खुला दिसामुक्त घोषणा कार्यक्रममे अभियानके सफल बनावेमे सहयोग करेवाला विभिन्न संघसंस्था आ आदमीसबके सम्मान भेल हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here