वासिङ्टन , आशिन २ । अमेरिकाके राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प अपन नयाँ सुरक्षा सल्लाहाकार नियुक्त कएले छत । बहुत दिनसे अमेरिकाके कूटनीतिक आ सुरक्षाके क्षेत्रमे काम कएले रोबर्ट ओब्राइनके ट्रम्प अपन चौथा राष्ट्रिय सुरक्षा सल्लाहाकार नियुक्त कएले छत । बितल कुछ दिन पहिले ट्रम्प जोन बोल्टनके सुरक्षा सल्लाहकारसे बर्खास्त कएले रहलन । ट्रम्पके सुरक्षा सल्लाहहकारके रुपमे ओब्राइन अमेरिकाके आप्रवासी नीतिसे लेके इरानसे बढइत तनाव तकके मुद्दासबमे काम करेवाला छत । ट्रम्प आ ओब्राइन बुधके दिन सबेरे लस एन्जलसमे संवादातासबसे बात कएले छत । ‘रोबर्ट बहुत अच्छा काम कएलेृ हए । ट्रम्प कहलन हमनि एक दोसराके बारेमे जानइछि । साथसाथे अमेरिकी हिरासतमे रहलसबके बारेमे ओब्राइन कएल कामके प्रशंसा भि कएलन । ओब्राइन अपनासे अमेरिकाके और भि सुरक्षित बनावेमे आ सैन्य शक्तिके मजबुत बनावेमे राष्ट्र पति ट्रम्प आ और भि समुहसे मिलके काम करेके बतएलन । कानुनके विद्यार्थी ओब्राइन रिपब्लिकन पार्टीके विदेश नीति सल्लाहकार होके काम कएले रहे । सन् २००५ मे तत्कालीन राष्ट्रपति जर्ज डब्ल्यु बुस हि ओब्राइनके संयुक्त राष्ट्र संघीय महासभाके लेल प्रतिनिधि नियुक्त कएले रहलन । ओब्राइन राष्ट्रसंघमे प्रतिनिधि भेल जोन बोल्टन अमेरिकी राजदुत रएलन । ओब्राइन पूर्वराष्ट्रपति बाराक ओबामाके पालामे भि विभिन्न भूमिकाम् काम कएले रहलन ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here