काठमाडौ , आशिन १४ । सभामुख कृष्णबहादुर महराके उपर यौन दुव्र्यवहारके आरोप लगलाके बाद राजिनामा देले छत । हुन उपसभामुखसमक्ष राजीनामा पत्र बुझएले छत । महरा कहलन हमरा उपर लागल आरोपके बारेमे सत्यतथ्य छानविनके लेल अनुसन्धानमे सहज होखो कहइत नैतिकताके अधारमे राजीनामा देले महरा बतएले छत । लेकिन राजीनामा पत्रमे ‘छानविन प्रक्रिया नहोएलातक के लेल ’ कहल शब्द प्रयोग कएले हए । महरा सभामुख पदसे मात्र राजीनामा देले हुनकर प्रेस सल्लाहकार डिल्ली मल्ल अनलाइन खबरके बतएले हए । एसे पहिले सत्तारुढ नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी(नेकपा) सभामुख आ प्रतिनिधिसभा सदस्य (सांसद) पदसे राजनिामा देके अनुसन्धानमे सहयोग करेके समझएले रहे । महराके उपर संसद सचिवालयके महिला कर्मचारी यौन दुव्र्यवहाहरके आरोप लगएले हए । उक्त आरोपके महरा अस्वीकार करइत आरहल हए ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here