जनकपुर,असोज १२ पुदेश २ के मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत निजगढ विमान स्थलके नाममे मधेशके जंगल काटेके नमिलल बतएलन ।
हरित प्रदेश अन्त्रगत शुक्रबारके सबेरे पर्साके पर्सागढी गाउँपालिका स्थित सबैया जंगलमे गाछीरोपइत मुख्यमन्त्री राउत विमानस्थलके डीपीआर नबनेतक गाछी काटेके नमिलि बतएलन । विमानस्थलके डीपीआर नबनेतक प्रदेश सरकार गाछी काटेनदेम, मुख्यमन्त्री राउत कहलन, माफियासब डीपीआर न तयार कके गाछी काटेके शक्ती लगारहल है ।

हरित प्रदेश अभियान देखावटी नहोके प्रदेशके पहिचान बनावेके अभियान रहल हुन बतएलन । प्रदेश २ सरकार शुक्रबार प्रदेश २ मे ५० हजार बिरुवा रोपले छत । प्रदेश सरकारके मन्त्रीसब प्रदेशके ८ जिल्लामे एकेै साथ गाछी रोपाएल है ।

भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्री जितेनद्र सोनाल बाराके फेटा गाउँपालिका खैरातीमाइ समुदायिक वनमे गाछी रोपले छत ।रौतहटमे कृक्षि राज्य मन्त्री योगेन्द्र राय,सर्लाहीमे मामिला तथा कानुन मन्त्री ज्ञानेन्द्र यादव,सिरहामे आर्थिक मामिला तथा योजना मन्त्री विजय यादव आ सप्तरीमे राज्य मन्त्री उषा यादवके नेतृतवमे गाछी रोपाएल रहे ।

प्रदेशके ८ जिल्लामे ८÷८ हजार गाछी रोपेके योजना है । प्रदेश सरकार अपना निति आ कार्यक्रममे समेटल ‘हरित प्रदेश योजना’ कार्यान्वयनके क्रममे आशिन १२ गते एक दिने प्रदेश भरमे ५० हजार गाछी रोपेके निर्णय कएले रहलन ।

स्वच्छ वातावरणके लेल हरित प्रदेश योजनाके सार्थकता देके गाछी रोपलन सरकारके प्रवकता एवम् आन्तरिक मामिला आ कानुनमन्त्री यादव बतएलन ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments