रौतहट, जेठ १३ । रौतहटके जिल्लाके ईतिहासमे पहिलबे अन्तराष्ट्रिय स्तरके रौतहटके गरुडा सांस्कृतिक कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । गरुडामे पहिलबेर आयोजित गरुडा सांस्कृतिक कार्यक्रम ऐतिहासिक भव्यता पूर्वक सम्पन्न भेल हए । अन्तर्राष्ट्रिय जगतमे ख्यातिप्राप्त कलाकार लोगके उपस्थितिमे पहिलबेर रौतहटमे आयोजित गरुडा सांस्कृतिक कार्यक्रममे हजारो हजार दर्शकके सहभागिता रहल रहे । तीन सयसे बेसी भोजपुरी सिनेमामे नायिकाके रुपमे अभिनय करचुकल भोजपुरी फिल्मके सबसे चर्चित नायिका रानी चटर्जी आ आइटम क्वीन सीमा सिंहके विशेष प्रस्तुति रहल कार्यक्रममे भव्यताके साथ सम्पन्न भेल हए । कार्यक्रममो नेपाली तथा भोजपुरी, मैथिली आ बज्जिका कलाकारके प्रस्तुतिसे कार्यक्रम ऐतिहासिक बनल रहे । बज्जिका भाषा आ सस्कृतिके संरक्षण आ विस्तार करेला कार्यक्रमके आयोजना कएलगेल आयोजक समितिके संयोजक कलाकार विजय यादव निर्बिज जानकारी करएले रहलन ।. कार्यक्रमके उदघाटन करइत गरुडा नगरपालिकाके मेयर इन्नु राय यादव गरुडा सांस्कृतिक कार्यक्रमसे संस्कृतिके संरक्षणमे बल पुगेके बतएलन । नेपाल टेलिकमके प्रस्तुतिमे एस राज प्रोडक्सनके आयोजना तथा निर्बिज टीम प्रोडक्सनके सहयोगमे आयोजित कार्यक्रममे आएल प्रसिद्ध नायिका रानी चटर्जी नेपालमे अपन पहिल स्टेज शो रहल जानकारी करएले रहलन । कार्यक्रममे नेपालके चर्चित म्यूजिक डाईरेक्टर एवम् गायक संतोष राज, सेलीना कुवँर, सुनिल पंडित कोरियो ग्रफिर अर्जुन जिसी लगायतका कलाकारसव अपन प्रस्तुती कएले रहलन ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments