जनकपुर , साओन १२ । मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतद्वारा दाहरसे प्रदेश नं.२ मे भेल क्षतिके बारेमे प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीके जानकारी करएले छत । असार २७ गते आएल भीषण दाहरसे प्रदेश २ मे भेल नोक्सानके बारेमे सम्बन्धित पक्षके जानकारी करावइतके साथे सहयोग करेके उद्देशयसे काठमाडौ पुगल मुख्यमन्त्री राउत सहितके सर्वदलिय टोलीसब आजु प्रधानमन्त्रीसे भेट कएले छत । प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे भेल भेटघाटमे मुख्यमन्त्री राउत दाहरसे सार्वजनिक आ निजि करके अरबो रुपैया बराबरके क्षति भेल ३७ गोरा से जादा दाहसे मृत्यु भेल आ हजारो परिवार घरविहिन भेल जानकारी करएले छत । दाहरसे. भेल क्षतिके परिपूर्ति प्रदेश सरकारके बुता से बाहर रहल उल्लेख करइत होइत हुन विस्थाविपतसबके पुनर्वास आ पुरण्रन्रिमाणके लेल संघीय सरकारके सहयोग करेके आग्रह समेत कएलन । भेटमे मुख्यमन्त्री राउत विस्थापित परिवारसबके पुनर्वास,नदी नियन्त्रण आ सडक मर्मत के उपर विशेष जोड देलन । जवाफमे प्रधानमन्त्री ओली कुछ दिनमे हि अपनेसे दाहर प्रभावित क्षेत्रके भ्रमण करिहेन आ आवश्यक सहयोग करेके आश्वासन देले छत । भेटमे पूर्व प्रधानमन्त्र िपुष्पकमल दहाल , उद्योग वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्री मातृका प्रसाद यादव समेतके उपस्थित रहे , प्रदेश २ के सर्वदलिय टोलीमे मुख्यमन्त्री राउत सहित भौतिक पूर्वात्रार विकास मन्त्री जितेन्द्र सोनाल, आन्तरिक मामिला तथा कानून मन्त्री ज्ञानेन्द्र कुमार यादव,नेकपा स.सदीय दलके नेता सत्यनारायण मण्डल, नेपाली संसदीय दलके नेता राम सरोज यादव सहितके सहभागिता रहे ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments