प्रदीप सम्राट ,राैतहट , साअाेन १३ सिमावर्ती भारत संघे रौतहटके बिभिन्न नकासब होके राज्सव छल्के लेआएल ५ लाख बराबरके मालसमान सब नेपाल प्रहरी बरामद कके आबश्यक कारबाहीके लेल गौर भन्सार कार्यालयमे बुझएले हए । खुल्ला सिमाके फएदा उठाबयित तस्करसब राजस्व छल्के बिभिन्न चोर नाकासे होके नेपाल लेआएल माल समानसब बिशेष सुराकीके आधारमे जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटसे खटल टोलि उक्त मूल्यके अबैध समानसब बरामद करके कारवाहीके लेल भन्सार कार्यालयमे दाखिला कयेले जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए । गौर नगरपालिका तथा यमुनामाई गाउपालिका अन्तर्गतके बिभिन्न स्थानसे बिभिन्न समयमे बिभिन्न आदमीसब द्वारा भारतसे भन्सार छल्के चोरिपैठारी करके नेपालतर्फ आरहलासे प्रहरीके देख्के समानसबके बोरा छोडके भागलासे उक्त समानसबके पोका देख्लापर मर्किन कपडा ,थानके कपडा ,जाजिम,थानके कुर्ता ,गम्छा ,तौलिया ,सेंदो ,करुतेल,धनिया ,मोबिल लगायतके समानसब छोडके भागल अन्दाजी ५ लाख मूल्य बराबरके समानसब बरामद भेल प्रबक्ता एबम डिएसपी नबिन कार्की बतएले छत । बरामद भेल ५ लाखके समानसब आबस्यक कारबाहीके लेल गौर भन्सार कार्यालयमे बुझाबल गेल कार्की जानकारी देलेछत ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments