कठमाडौ , साओन २० । राष्ट्रिय जनता पार्टीके सांसद राजेन्द्र महतो सरकार हमरा विरुद्धमे भ्रम फैलावे वालाकाम करइत आरहल कहइ आपति जनएले हए ।सोमबारके दिन प्रतिनिधिसभाके बैठकके समयमे कोलइत हुन सरकारके प्रवक्ता अमरा नाममे भ्रम फैलावइत काम कररहल आरोप लगएलन । सरकारके प्रवक्ता राजेन्द्र महतो सहित ८ जनाके नागरिकता बदर भेल कहइत जानकारी करएले आ ओहीअनुसार सञ्चारमाध्यमसब समाचार छापके काम कएले कहइत हुन राज्य कौनोके चरित्रके हत्या करके काम नमिल्ले कहलन । सञ्चार तथा सुचना प्रविधि मन्त्री गोकुल बाँसकोटा एतवारके मन्त्रीपरिषद बैठकके निर्णय सार्वजनीक करेके क्रममे राजेन्द्र महतो लगयात ८ जनाके नागरिकता खारेज भेल जानकारि करएले रहे । उह बाते लेक सरकार कौन राजेन्द्र हए ओकर परिचय नखुलएलाके कारण अपन मान हानि भेल बतएलन । हुन कहलन ,“भ्रमके खेती सुरु होगेल हए हम देशवासीके जानकारी करावेके चाहि छि । कालुह मात्रे नेपाल सरकारके प्रवक्ता राजेन्द्र महतो लगायत ८ जनाके नेपाली नागरिकताके प्रमाणपत्र भेल खबर समाचारमे आएल रहे ।कौन राजन्द्र महतो हए ?राष्ट्रियतासे जुडल अइसन विषयमे नेपाल सरकारके प्रवक्ता हि नेपाल सरकारके निर्णय सार्वजनिक करइत राजेन्द्र महतो लगायत ८ जनाके नागरिकता बदर होएवाल खबर कि हए ? सरकारके हमरासे माफी मागें के परि बतएलन । ह्ुन कहलन , “कौन नियत हए ? यी सरकार चौतर्फी रुपमे असफल होरहल हए । यी भ्रम फैलाके सरकार कथि खोजेके चाहइत हए ? राजेन्द्र महतोके राष्ट्रियता उपर प्रश्न करइत भ्रम फैलावेवाला काम यी कथि कएले हए ? सरकारके नियतके उपर हि प्रश्न उठएले हए । सरकारके अइसन काम नकरेके । कौनोके इज्जत नलेवेके । सरकारके माफी मागेके परि । ” अपन धारण राखेके क्रममे महतो सभामुख आ नेकपा अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालके नाम भि लेले कहइत सत्तारुढ दलके सांसद सब नियमपत्ति जनउले सभामुख कृष्णबहादुर महरा प्रतिनिधिसभा नियमावलीके दफा २९ के ख आ ङ बमोजीम प्रतिकुल हाइते प्रयोग भेल शब्दसब रेकर्डसे हटावेके लेल सचिवालयके निर्देशन देलन ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments