प्रदीप सम्राट , रौतहट ,सओन ३१ । सर्लाही जिल्लाके रामनगर बोरहवा गाउपलिका ५ निवासी ५८ वर्षीय मुकेश शर्माके बस दुर्घटनामे परके मृत्यु भेल हए । काठमाडौँसे रौतहटके गौर तरफ जा रहल ना. ५ ख. २२३३ नम्बरके यात्रुबाहक बस अनियन्त्रित होके सडक छेओमे रहल बिजुलीके पोलमे ठोकएलासे दुर्घटना भेल हए। मकवानपुरके हेटौडा उपमहानगरपालिका १९ नेवारपानीमे बस दुर्घटना भेलासे एक जनाके मृत्युके साथे १५ जना घायल भेल हए । घायल भेल मध्ये १० जना सामान्य रहल आ ३ जनाके भरतपुर इलाजके लेल पठाबल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय मकवानपुरके प्रहरी उपरीक्षक मुकेश कुमार सींह जानकारी देले छत । ओइसहि २ जनाके हेटौडाके चुरे हिल अस्पतालमे इलाज होरहल प्रहरी स्रोतके कहनाम हए ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments