काठमाडौ , साआने ३१ । कर्णाली प्रदेश सरकारके भौतिक पूर्वाधार तथा योजनामन्त्री खड्गबहादुर खत्रीके बर्खास्त कएल गेल हए । मुख्यमन्त्री महेन्द्रबहादुर शाही मन्त्री खत्रीके बिफेके दिन साझके बर्खास्त कएले छत । पार्टीके शीर्ष नेतासबसे बातबिचार करके हुनकाके बर्खास्त कएले कर्णाली प्रदेश सरकारके ऐगो मन्त्र जानकारी देले छत । मुख्यमन्त्रालयके अनुसार मुख्यमन्त्री शाही पूर्वाधारमन्त्री खत्रीके राजीनामा देबेकेक लेल निर्देशन देले रएलन । लेकिन हुन राजिनामा देबेसे अस्वीकार होलाके कारणसे पार्टीके नेतासब बातबिचार करके बर्खास्त करदेले हए । बिफेके दिन साझाके हि मुख्यमन्त्री शाही खत्रीके बर्खास्त करेके निर्णय प्रदेश प्रमुख दुर्गाकेश खनालके जानकारी देले रएलन । संविधानके धारा १६९ के उपधारा (२) के खण्ड (ख) वमोजीम पदमुक्त करके भौतीक पूर्वाधार मन्त्रालय मुख्यमन्त्री शाही अपने समहारेके निर्णय कएले मुख्यमन्त्री कार्यालय जानकारी देले हए । उच्च अदालत पाटन सोमारके दिन मन्त्री खत्रीके पकरेके लेल आदेश देले हए । अदालतके न्यायधिश श्रीकान्त पौडेल आ टेकप्रसाद ढुगानाके इजलासमे उक्त आदेशके जारी कएले हए । पूर्वाधारमन्त्री खत्रीसहित पाँच जना एक करोड १० लाख ८० हजार रकम कृषी विकास बैंक भोजपुरसे जारी नक्कली झुट,किर्ते,बैंक ज्ञारेन्टीके पत्र जिल्ला प्राविधिक कार्यालय भोजपुरमे पेश कएलाके कारण उच्च अदालत पाटन पकराउ पूर्जाी जारी कएले हए ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments