काठमाडौ , भादो १५ । नेपाली बैंकके एटीएम मेसिन ह्याकरके निशानामे अएलाके बाद बैंकसब अपन एटिएम सेवा अनिश्चित कालके लेल बन्द कएले हए । पुलिस एटिएम ह्याक करके पैसा निकाले वाला ५ गो चिनियाँ आदमीके पकरलाके बाद सुरक्षा खतराके कारण बैंकसब तत्कालके लेल एटिएम सेवा बन्द कएले महानगरीय पुलिस परिसर काठमाडौके प्रमुख उत्तमराज सुवेदी जानकारी देले छत । शनिचरके साझमे पुलिस पकरले ५ गो चिनियाँ आदमीके साथसे १ करोड २६ लाख २९ अजार ४५ रुपैया आ १ हजार अमेरिकी डलर बरामद कएले हए । बैंकके खातावालाके रकम ऊ सब अनधिकृत रुपमे निकाल्ले हए ।

0 0 votes
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments