बिरगञ्ज , भादो १९ । प्रदेश २ के मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत बारामे प्रस्तावित अन्तराष्ट्रिय विमानस्थल निजगढमे हि बनेके चाहि । मुख्यमन्त्री राउत बिरगञ्जमे सञ्चारकर्मीसे बात करइत विमानस्थलके निर्माण प्रदेश २ के समृद्धि आ विकाससे जुटल रहलाके कारण उहे स्थानमे बनेके चाहि प्रदेश सरकारके धारण रहल हए । प्रदेश सरकार समद्धि आ विकासके रास्तामे अग्रसर रहल बतावइत एकरा लेल सबके साथे सहकारय करेके लेल तयार रहल बतएलन । प्रदेश सरकार विकासके लेल संघीय सरकारसे समन्वय आ सहकार्यमे अगाडी बढेमे तयार रहल हुनकर कहनाम रहे । विमानस्थल निर्माण कार्य दोसरा जगह बनावेके षढ्यन्त्र होरहल कहइत निजगढके स्थानीयबासी आन्दोलित भेल अवस्थामे राउतके उ कहनाम बाहर अएल हए । प्रदेश २ मे रहल राजपा–समाजवादी गठबन्धन सरकारके कुछ मन्त्रीसब कहलन कि उहवाके गाछी नकाटेदेवेके आ प्रदेशभित्र दोसर खाली जमिनमे विमानस्थल बनावेके पक्षमे हए ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments