प्रदीप सम्राट , गरुडा ,आशिन ०७। रौतहट प्रहरी सिमा नाकासे बिभिन्न सरसामान सब कएले हए बरामद रौतहटमे भन्सार चोरी निकासी कार्य नियन्त्रण अभियान अन्तर्गत रौतहट प्रहरी सिमा नाकासे बिभिन्न सरसामान सब बरामद कएले हए ।
नज्दिके आरहल चाड परबके मध्ये नजर रखयित सिमा नाकामे सुरक्षा ब्यबस्था कडा कएल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनएले हए ।तस्करी नियन्त्रण अभियान अन्तर्गत जिल्ला प्रहरी कार्यालयसे खटल प्रहरीके टोलि जिल्लाके गौर नगरपालिका ,इशनाथ नगरपालिका आ बौधिमाई नगरपालिका अन्तर्गत रहल सिम्मा नाका सबसे भारत ओर लेजारहल सौफी दारु ,मटर आ भारत ओर से लेआरहल केश काटेबाला मसिन ,फेसवास पाउडर,कैची ,वायारिंगके तार लगायतके समान अन्दाजी ३ लाख ५७ हजार मूल्य बराबर के सरसामान बरामद करके आवस्यक कार्यबाहीके लेल गौर भन्सार कार्यालयमे बुझएले जिल्ला प्रहरी कार्यालय जानकारी देले हए ।