काठमाडू ।। चीन आ भारतके बीच बढइत तनाव कम करेके लेल दुनु देशके विदेशमन्त्रीबीच भिडियो कन्फ्रेसमार्फत बातचित होए वाला भेल हए ।
यी भिडियो कन्फ्रेन्समे रुसके विदेशमन्त्री भि सहभागि होएत भारतीय मिडिया सब उल्लेख कएले हए ।
चीन आ भारतबीचके तनावके कम करेके लेल रुस प्रयास करइत हए । भिडियो कन्फेन्समे चीनके विदेशमन्त्री वाङ यी आ भारतीय विदेशमन्त्री एस.जयशंकर सहभागि होए वाला भेल हए ।
सोमवारके रातमे लद्दाखके गलवान क्षेत्रमे चीन आ भारतीय सेना बीच हिंसात्मक झडप भेल रहे । उ झडपमे एक कर्णल सहित २० जना भारतीय सैनिक मरल रहे ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments